जनमत पार्टी के सतीश कुमार सिंह मधेश प्रदेश के तेसर मुख्यमंत्री

69
जनमत पार्टी के सतीश कुमार सिंह मधेश प्रदेश के तेसर मुख्यमंत्री के रूप में पद के शपथ आ गोपनीयता के शपथ लेलनि अछि। मुख्यमंत्री सुमित्रा सुबेदी भण्डारी शुक्रदिन दुपहर मे नवनियुक्त मुख्यमंत्री सिंह कए पद आ गोपनीयता क शपथ देलथि। एहि स पहिने शुक्रदिन भोर मे ६ पार्टी गठबंधन सिंह कए मुख्यमंत्री बनेबाक सिफारिश केलक। प्रांतीय प्रमुख भंडारी सिंह कए मधेश क तेसर मुख्यमंत्री नियुक्त केलथि। ६ दल के ५५ सांसद के सहयोग स सिंह के मधेश प्रांत के मुख्यमंत्री नियुक्त कायल गेल। प्रान्तीय प्रमुखके व्यक्तिगत सचिव टीकाराम उप्रेती संविधानके अनुच्छेद १६८-२ अनुसार सिंहके प्रान्तीय प्रमुख भंडारीद्वारा मुख्यमन्त्री नियुक्त कएल गेल जानकारी देलनि । मुख्यमंत्री भण्डारी के विशेष समारोह के दौरान मुख्यमंत्री सिंह के शपथ देला के बाद १४ सदस्यीय मंत्रिमंडल के गठन सेहो कायल गेल। मधेश प्रदेशके नवनियुक्त मुख्यमन्त्री सिंह १४ सदस्यीय कैबिनेट गठन कएने छथि ।