नेपालमे फेर सँ बढ्ल कोरोना संक्रमण, मधेश प्रदेशमे ५ गोटे संक्रमित
पिछला ७ दिनमे ३० गोटेमे कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल अछि ।
महामारी विज्ञान आ संक्रामक रोग नियंत्रण प्रभाग के निदेशक डॉ. चंद्रभाल झा कहलनि जे, पिछला 7 दिन मे 30 गोटे मे कोरोना संक्रमण के पुष्टि भेल अछि आ पिछला 24 घंटा मे 5 गोटे मे कोरोना संक्रमण के पुष्टि भेल अछि।
विभागक अनुसार पौष १७ के बाद कोरोना संक्रमण पुष्टि भेल १६० गोटे मे सबसँ बेसी बागमती प्रदेश मे, सुदुरपश्चिम प्रदेश मे १२९, मधेश प्रदेश मे ५, आ कोशी, गण्डकी, आ लुम्बानी प्रदेश मे ३-३ गोटे मे कोरोना संक्रमण देखल गेल अछि ।
एम्हर निदेशक डॉ. झा जानकारी देलनि जे जाहि इलाका मे संक्रमण के पता चलल अछि ओहि इलाका मे एंटीजन टेस्टिंग किट भेजल गेल अछि।
स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्रालयके प्रवक्ता डा. प्रकाश बुधाथोकी भारतमे संक्रमणके पता चलेके कारण घबराहटके आवश्यकता नै रहल बटैलै । ओ कहलनि जे, कोरोना वायरस के टीका नहि लगाओल गेल लोक, पुरान बीमार, आ वरिष्ठ नागरिक के भले खतरा मे अछि, मुदा घबराहट के कोनो जरूरत नहि अछि।