महेन्द्र यादव पर जानलेवा हमला, एक गोटे पक्राएल

55

नेपाली कांग्रेसक सहमहामन्त्री महेन्द्र यादव पर जानलेवा हमला भेल अछि ।

काठमाण्डुके रिपोर्टर्स क्लबमे एकटा कार्यक्रमसँ बाहर निकलैत काल यादव पर आक्रमण कएल गेल प्रत्यक्षदर्शी जनौलक अछि ।

काठमाण्डु प्रहरी प्रमुख भूपेन्द्र खत्री क अनुसार नुवाकोटाके विदुर नगरपालिका घर भेल श्यामबाबु सापकोटा सहमहामन्त्री यादव पर खुकुरी फेक क जान लेबए के प्रयास केने छल । सापकोटाके गिरफ्तार कएल गेल अछि ।

हमला के बाद यादव के माथ आ पीठ पर चोट लागल अछि। हुनकर इलाज ट्रॉमा सेंटर मे भ रहल अछि। हुनकर हालत खतरा स बाहर अछि।