पेट्रोल, डिजेल आ मट्टितेलके दाम बढ्ल
ग्यास सिलिन्डरके दाम २,११० भेल
नेपाल आयल निगम पेट्रोलियम उत्पादके दाम बढौलक अछि ।
निगमक पेट्रोल प्रति लीटर २ रुपैया, डीजल आ मट्टी तेलमे ६ रुपैया प्रति लीटर आ खाना बनाबय बला गैसमे २१५ रुपैया प्रति सिलेंडर दाम बढेबाक निर्णय केने अछि । तहिना देशी आ अंतरराष्ट्रीय स्तर पर विमानन ईंधन मे 8 टका प्रति लीटर क बढ़ोतरी कैल गेल अछि।
एहि बढ़ोतरी क संग गैस क दाम प्रति सिलेंडर २११० टका तक पहुंच गेल अछि। पहिल श्रेणी (चरली, विराटनगर, जनकपुर, अमलेखगंज, भालबरी, नेपालगंज, धनगढी आ वीरगंज डिपो) मे पेट्रोल के दाम १८२.५ रुपैया, दोसर श्रेणी (सुर्खेत आ दाङ) मे १८४ रुपैया आ काठमांडू मे १८५ रुपैयाँ रहल अछि , पोखरा आ दिपायलमे १८५ रुपैयाँ पहुँचल अछि ।
घरेलू विमानन ईंधन के दाम प्रति लीटर १४४ रुपया आओर अंतरराष्ट्रीय दाम १.०९५ अमेरिकी डॉलर पर बनल अछि । बढ़ल दाम शनिदिन आधा राति १२ बजेस लागू भेल अछि ।