नेपालमे सेहो ४४म विश्व पर्यटन दिवस विभिन्न कार्यक्रमक आयोजन कए मनाओल जा रहल अछि

नेपालमे सेहो ४४म विश्व पर्यटन दिवस विभिन्न कार्यक्रमक आयोजन कए मनाओल जा रहल अछि

28

आइ २७ सितम्बर अर्थात ४४म पर्यटन दिवसके अवसरमे जनकपुरधाममे भोरका रैलीके आयोजना कएल गेल अछि । मधेश राज्य सरकारके नेतृत्वमे आयोजित रैलीमे जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका, येती एयरलाइंस, बुद्ध एयरलाइंस तथा यहाँके विभिन्न संस्थागत विद्यालयसब अपन बैनरके साथ सहभागी भेल छल । पर्यटन आ हरित निवेश के नारा स जनकपुर रेलवे स्टेशन पर गाछ रोपलाक बाद भानु चौक आ शिव चौक स गुजरैत रैली जानकी मंदिर मे समाप्त भेल ।रैली के समापन कार्यक्रम के संबोधित करैत उद्योग, पर्यटन आ वाणिज्य मंत्री सुनीता यादव कहलनि जे, यद्यपि प्रदेश मे धार्मिक आ सांस्कृतिक पर्यटन के विशेष संभावना अछि, मुदा पूर्व मे संघीय सरकार के ध्यान नहि देला के कारण, एहि ठाम पर्यटन क विकास नहि भ सकल। हालांकि प्रांतीय सरकार धार्मिक आ सांस्कृतिक स्थान कए पर्यटन क्षेत्र क रूप मे विकसित करबा लेल डीपीआर कए आगू बढ़ेलक अछि, मुदा पर्याप्त बजट क अभाव मे कोनो खास प्रगति नहि भेल अछि । पर्यटन क्षेत्र के विकास के लेल प्रांतीय सरकार स बेसी बजट के आग्रह केलथि ओ कहलीह । एहि कार्यक्रम मे उद्योग, पर्यटन आ वाणिज्य राज्य मंत्री रहबर अंसारी, प्रदेश सांसद राम आशिष यादव सहभागिता छल ।