राज्य स्तर के कानून, नीति आ बजेट विश्लेषण के निष्कर्ष कार्य योजना पर कार्यशाला सम्मेलन पूरा

51
जनकपुरधाम । सीआरपीडी के अनुसार राज्य स्तर के कानून, नीति आ बजेट विश्लेषण के निष्कर्ष आ अनुभव साझा करय आ पैरवी कार्य योजना पर कार्यशाला सम्मेलन पूरा भ गेल अछि. ऑस्ट्रेलियन एड आ सीबीएमके सहयोग स राष्ट्रिय अपाङ्ग महासंघ द्वारा आयोजित कार्यक्रम मे वक्ता सब कहला जे राज्य सरकार कए निर्माण कानून, नीति आ बजट मे शारीरिक रूप स कमजोर लोक कए संबोधित करबाक चाही। कार्यक्रममे नीति तथा योजना आयोगके अध्यक्ष नखु प्रसाद चौधरी, प्रदेश संसद सरदा दास पहाडी, लखन दास, गृह संचार तथा कानून मन्त्रालयके उतम खरेल, शिक्षा तथा समाज कल्याण मन्त्रालयके उपसचिव देवी खतिवाडाके सहभागिता रहल रहे ।