शारीरिक विकलांगता पहचान एवं पुनर्वास शिविर पूरा
जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका-१४ रापवि, शारीरिक विकलांगता पहिचान आ पुनर्वास शिविर बृहस्पतिदिन सम्पन्न भेल अछि । सीबीएम ग्लोबल के आर्थिक सहयोग स जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका, एचआरडीसी आ डीएसजे के समन्वय स लाइफ नेपाल द्वारा आयोजित शिविर मे शारीरिक विकलांग लोक के चयन आ पहचान कायल गेल। लाइफ नेपालके अध्यक्ष सूरत ठाकुर शिविरमे सहभागी ८२ गोटेके चयन आ पहिचान कए सहायक सामग्री उपलब्ध कराओल गेल बतौलनि । शिविरमे जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाके उपप्रमुख किशोरी साह, सीबीएम ग्लोबलके जेकियन शाह, एचआरडीसीके इरोज श्रेष्ठ आ लाइफ नेपालके कर्मचारीसब सहभागिता रहल छल । लाइफ नेपाल धनुषाके तीन अलग-अलग नगरपालिकामे समावेशी जलवायु उत्थानकारी सामुदायिक विकास परियोजना संचालन कऽ रहल अछि । ई जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका, मिथिला बिहारी नगरपालिका आ अन्य ग्रामीण नगरपालिका मे संचालित अछि ।