बाल विवाह पर नियंत्रण आ महिला सशक्त बनेबा लेल सरकार गंभीर अछि : मुख्यमंत्री यादव
मधेश प्रदेशके मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव मधेश प्रदेशके सरकार बाल विवाह आ महिला सशक्तिकरणके प्रति गम्भीर रहल बतौलनि अछि । जनकपुरधाममे योजना अन्तर्राष्ट्रिय नेपालक राष्ट्रिय रणनीति २०२३-२०२८ प्रचार कार्यक्रमके सम्बोधन करैत ओ कहलनि जे, मधेश प्रदेश सरकार बाल विवाह रोकबाक आ महिलाक आर्थिक आ सामाजिक रूपसँ सशक्त बनेबाक लेल “बेटी पढ़ौँ बेटी बचाउन” कार्यक्रम अन्तर्गत बेटी शिक्षा बीमा जेहन कार्यक्रम केने अछि । मुख्यमन्त्री यादव प्लान इन्टरनेशनल नेपाल सन संस्था द्वारा बनाओल गेल रणनीति के सफल क्रियान्वयन लेल प्रान्तीय सरकार सहयोग करय लेल तत्पर रहल बतौलनि । मधेश प्रदेशके भौतिक पूर्वाधार विकास मन्त्री कृष्णप्रसाद यादव मधेश प्रदेशके जिल्लामे प्लान इन्टरनेशनल नेपालद्वारा पूर्वमे कएल गेल कार्यके सराहना करैत भविष्यमे आरो मजबूतीसँ काज करबाक आशा व्यक्त कएलन्हि । मधेश प्रदेशके शिक्षा तथा समाज कल्याण मन्त्री महेश प्रसाद यादव मधेश प्रदेशमे बाल विवाहके अवस्था अत्यन्त भयावह अछि आ ओकरा कम करबाक लेल प्रान्तीय सरकार बालिका शिक्षापर विशेष जोर देलक बतौलनि ।