धनुषाक आनन्द साहसहित १० गोटे नेपालीको इजरायलमे मृत्यु

177

इजरायलमे रहल १० गोटे नेपालीको मृत्यु भेल अछि।

इजरायलमे हमास केने आक्रमणमे परि क १० गोटे नेपालीके मृत्यु भएको अछि त तीन गोटे घाहिल भेल अछि । इजरायली अधिकारीहरूके अनुसार याह आक्रमणमे परि क मृत्यु भेल सभक संख्या अख्खनधरि ६०० पहुँचल अछि त सयौं गोटे घाहिल भेल अछि ।

आक्रमणमे परि क १० गोटे नेपालीके मृत्यु भएको पुष्टि इजरायलस्थित नेपाली राजदूत कान्ता रिजालले केने छनि ।

मृत्यु भेलमे घोडाघोडी–४ कैलालीके नारायण न्यौपाने, जयपृथ्वी–६ बझाङके गणेशकुमार नेपाली, बाउनिया–३ कैलालीके आशिष चौधरी, लेकाम–५ दार्चुलाके दिपेशराज विष्ट, सपही–६, धनुषाके आनन्द साह आ मधुवान–१, सुनसरीके राजेशकुमार स्वर्णकार रहल अछि ।

अहिना पाँचनली–डोटीके राजन फुलारा, लामिखाल–८ डोटीके पदम थापा, सारदा–३ सल्यानके प्रवेश भण्डारी आ मालिकार्जुन–४ दार्चुलाके लोकेन्द्र सिंह धामीके सेहो मृत्यु भेल अछि ।

सारदा–२ सल्यानके विधान सेजुवाल, दगिशरण–३ दाङके प्रविण डाँगी घाहिल भेल अछि । ओ दुनु गोटेके स्थानीय अस्पतालमे इलाज भरहल अछि ।