दुर्गा प्रसाई के आग्रह जे बैंक के ब्याज आ बिजली के बिल नै देबय के

65

जनकपुरधाम । नेपाल हिन्दू अधिराज्य अभियान के नेता आ व्यापारी दुर्गा प्रसाई आम जनता स बैंक आ वित्तीय संस्था स ब्याज आ बिजली के पैसा नै देबाक आग्रह केने छथि ।
मंगलदिन जनकपुरधाममे रास्ट्र भक्ति रास्ट्र केन्द्रित शक्ति नेपाल आयोजित कार्यक्रमके सम्बोधन करैत प्रसाई नेपालक बैंक आ वित्तीय संस्था ब्याज दर बढबैत हजारो नेपाली जनताके कष्ट भोगय पड़ल बतौलनि आ ब्याज नहि देबाक आग्रह केलन्हि । ओ कहलनि जे, नेपालक आर्थिक आ वित्तीय क्षेत्र मे एकटा निश्चित समुदायक वर्चस्वक कारणेँ नित्य आत्महत्या आ ब्याज नहि देबाक कारण विदेश मे पलायनक संख्या बढि रहल अछि । ओ दावा केलथि जे सरकार टिक टोक बंद केलाक बाद हुनकर सोशल मीडिया आंदोलन सफल रहल। ओ अपन आन्दोलन के सफल बनेबाक लेल देश भरिक जनता स्  अघहन ७ के काठमांडू पहुँचबाक आग्रह केलथि ।