पेट्रोल, डिजेल, मट्टीतेल आ हवाई इन्धनके दाम घटल

0 72

पेट्रोल, डिजेल, मट्टीतेल आ हवाई इन्धनके दाम घटल अछि ।

पेट्रोलमे प्रतिलिटर १ रूपैयाँ आ डिजेल मट्टीतेलमा २ रूपैयाँ कम भेल अछि । निगम तय केने नयाँ मूल्य देशभरिके विभिन्न ठाम अनुसार लागू भेल अछि । निगम पेट्रोलियम पदार्थके मूल्यके लेल देशके विभिन्न ठामसभके ३ वर्गमे विभाजन केने अछि ।

पहिल वर्गमे रहल चारआली, विराटनगर, वीरगन्ज, जनकपुर, अमलेखगन्ज, भलवारी, नेपालगन्ज आ धनगढी क्षेत्रमे आब पेट्रोलके दाम लिटरके १५५ रूपैयाँ ५० पैसा प्रतिलिटर भेल अछि । तहिना डिजेल आ मट्टीतेल १४४ रूपैयाँ ५० पैसा रहल अछि ।

तहिना दोस्सर वर्गमे सुर्खेत आ दाङ क्षेत्र रहल अछि । अहि ठाममे आब पेट्रोल १५७ रूपैयाँ प्रतिलिटर आ डिजल आ मट्टीतेल १४६ रूपैयाँमे भेटत ।

तेसर वर्गअन्तर्गत काठमाडौं, पोखरा आ दिपायल क्षेत्र रहल अछि । अहि ठामसभमे आब पेट्रोल १५८ रूपैयाँ प्रतिलिटरमे भेटत त डिजेल आ मट्टीतेल १४७ रूपैयाँभे भेटत ।

तहिना हवाइ इन्धन आन्तरिकमे प्रतिलिटर ६ रूपैयाँ घटल अछि । अन्तर्राष्ट्रियमे प्रति किलोलिटर अमेरिकी डलर ४५ कम भेल अछि ।

एलपी ग्याँसके मूल्य भारत सँ नेपाली ४१ रुपैयाँ बढि क आएल रहितो पावनिसभके ल क अख्खनके लेल यथावत राखल गेल आएल निगम जानकारी देने अछि ।