जनकपुरधाम, “सशक्त नारी समृद्ध नेपाल” मधेशमे प्रारंभ भेल ।

27
जनकपुरधाम, “सशक्त नारी समृद्ध नेपाल” मधेशमे प्रारंभ भेल । मधेश प्रदेश विधानसभा महिला, बाल तथा सामाजिक न्याय समिति के अध्यक्ष रूपा कुमारी यादव जनजागरण के अभाव मे महिला अन्याय के सामना करय पड़ि रहल बतौलनि । बृहस्पतिदिन मधेश प्रदेशमे महिला प्रतिनिधीके लैङ्गिक उत्तरदायी शासन आ नेतृत्व विकासके लेल शुरु भेल ‘सशक्त नारी समृद्ध नेपाल’के स्वागत करैत यादव चारि वर्षक कार्यक्रमसँ प्रदेशमे जनजागरण बढेबामे सहायक होएत बतौलनि । मधेश प्रदेश खेल तथा सामाजिक विकास मन्त्रालयके सचिव चूडामणि फुयाल बृहस्पति दिनसे लैङ्गिक आधारित हिंसा रोकथाम आ हानिकारक सामाजिक मूल्य परिवर्तन, महिला तथा हाशिया पर पड़ल समुदायके आर्थिक सशक्तिकरण, लैङ्गिक प्रतिक्रियाशील शासन, महिला प्रतिनिधिके नेतृत्व विकास कार्यक्रमके पुरुष सहभागिता शुरु करल बटैलै । सामाजिक विकास मन्त्रालयके समन्वयमे प्रदेशके ६ जिल्लाके १२ नगरपालिकामे संचालित ‘सशक्त महिला समृद्ध नेपाल’ कार्यक्रमके यूरोपीय संघ आ संयुक्त राष्ट्र संघके संस्था यूएनएफपीए, आईएलओ, संयुक्त राष्ट्र महिला आ यूनिसेफ तकनीकी सहयोग देलक अछि मधेश प्रदेश के। उक्त कार्यक्रम यूरोपीय संघ के सहयोग उपाध्यक्ष एलोइजा अस्टुडिलो महिला सशक्तिकरण के लेल बहुत समय लागत, ताहि लेल सब गोटे के मिलिकय ‘शक्त महिला समरूढ़ नेपाल’ कार्यक्रम पर काज करबाक चाही बतौलनि ।