रंगभूमि मैदान में विश्व के सबस पैघ खाद्यान्न स भगवान राम आ सीता के स्वयंम्बर के छवि बनेबाक काज भ रहल

15

श्री सीता राम विवाह पंचमी महामहोत्सव के अवसर पर जनकपुरधाम के बारह बीघा रंगभूमि मैदान में विश्व के सबस पैघ खाद्यान्न स भगवान राम आ सीता के स्वयंम्बर के छवि बनेबाक काज भ रहल अछि | भगवान राम सीता के संग राजर्षि जनक आ विश्वामित्र के आकृति के निर्माण होयत। सबटा तस्वीर ११ हजार ११ वर्ग फीट के होबय वाला अछि. श्री सीताराम अनाज प्रतिमा निर्माण समिति के संयोजक आ जनकपुरधाम उद्योग वाणिज्य संघ के अध्यक्ष जितेन्द्र महासेठ खाद्यान्न स बनल आकृति के ऊंचाई १२१ फीट आ चौड़ाई ९१ फीट रहल जानकारी देलनि अछि। संयोजक महासेठ कहलनि जे, आकृति के निर्माण मे ११० प्रकार के भोजन के उपयोग होयत। एहि मे चलन, गहूम, सोयाबीन, चना, मुम्फली, मुंग, रहर दाल, मक्का, रहर दाल, मसूर दाल आ कारी उरीद के प्रयोग होयत।

विश्वमे जनकपुरधामके पर्यटनके प्रचार प्रसारके क्रममे अनाजके आकारके चित्र बनाके गिनीज बुकमे आ हावर्डमे दर्ज करैके प्रयास कएल जा रहल संयोजक महासेठ जानकारी देलैईन । विश्व रिकॉर्ड बनेबाक उद्देश्य स भारत स सतीस गुज्जर क नेतृत्व मे 8टा कलाकार भगवान राम आ सीता सहित आकृति बनेबा लेल आबि गेल छथि। जनकपुरधाम के वार्ड नम्बर ४ के गुनगुन मिश्रा द्वारा योजनाबद्ध आकृति निर्माण के सम्पूर्ण कार्य काल्हि भोर १० बजे तक सम्पन्न भ जायत । एहि आंकड़ा क निर्माण मे 21 लाख टका खर्च होएत। एहि मे भेल खर्च जनकपुरधाम उद्योग वाणिज्य संघ आ जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका द्वारा कयल जायत ।