भारत–नेपाल आर्थिक साझेदारी शिखर सम्मेलन भेल सम्पन्न

28

भारत–नेपाल आर्थिक साझेदारी शिखर सम्मेलन २०२३ सम्पन्न भेल अछि ।

पर्साके विरगंजमे विरगंज उद्योग वाणिज्य संघ एवं पिएचडी चेम्बर अफ कमर्स एन्ड इन्डस्ट्रीके संयुक्त आयोजना आ वीरगञ्जस्थित भारतीय महावाणिज्य दूतावासके सहकार्यमे सम्मेलन सम्पन्न भेल अछि ।

भारतीय महावाणिज्य दूतावास वीरगञ्जक महावाणिज्यदूत देवीसहाय मीणा भारत–नेपालबीचके व्यापार विस्तार करबाक लेल सहयोग करैत आएल आ आगाके दिनमे सेहो निरन्तरता देबाक बतौलेन्हि । नेपाल–भारतबीचके सभटा व्यापारिक समस्याके समाधान करएलेल भारतीय महावाणिज्य दूतावास तयार रहल हुनक कहब अछि ।

सम्मेलनमे विरगंज उद्योग वाणिज्य संघक अध्यक्ष अनिलकुमार अग्रवाल नेपाल–भारतबीचके बहुआयामिक सम्बन्धके विषयमे चर्चा केने छल । ओ दुपक्षीय व्यापार विस्तारक लेल दुनु देशके सरकारके भूमिका आ सीमावर्ती क्षेत्रमे भऽरहल कठिनाइ समाधान करबार लेल स्थानीय स्तर सँ पहल करए परबाकमे जोड देलैन्हि ।

सुविधा सम्पन्न क्वारेन्टाइन आ खाद्य प्रयोगशाला स्थापना होबए परबाक, डिस्प्युट सेल स्थापना करए परबाक, तेसर मुलुकके पार्टपुर्जा, छोट मेसिनरी आ दबाई भारत सँ सेहो आयात करए के व्यवस्था होबए परबाक, नेपाली सवारी साधनके भारतमे सहज प्रवेशके व्यवस्था लगायत विषयमे ओ ध्यानाकर्षण करौलेन्हि ।

भारतके लेल नेपालक पूर्वराजदूत लोकराज बराल, मधेश प्रदेशके निति तथा योजना आयोगक सदस्य सोहन साह, नर्थ साउथ कलेक्टिभके कार्यकारी निर्देशक राकेश मिश्र, निम्बस ग्रुप अफ इन्डस्ट्रीके अध्यक्ष जगदीशप्रसाद अग्रवाल, युनिलिभर नेपालके कारखाना प्रबन्धक सञ्जय भट्टाचार्य, ऊर्जा वल्र्डके प्रमुख कार्यकारी अधिकृत दीपक रौनियार, इन्टरस्टेट मल्टिमोडल ट्रान्सपोर्टके कार्यकारी निर्देशक विकास रौनियार, नेपाल–भारत उद्योग वाणिज्य संघके उद्योग तथा निर्यात प्रबन्धक समिति सभापति कुनाल क्याल लगायत सभ नेपाल–भारतबीचके व्यापारिक सम्बन्ध, अवरोध आ समस्या समाधानक विभिन्न आयामके विषयमे धारणा रख्ने छल ।