अन्तर्राष्ट्रिय नाट्य महोत्सव २०८० प्रारम्भ

279

जनकपुरधाम : मैथिली भाषा, साहित्य, कला, संस्कृति, अर्थव्यवस्था आ पर्यटन के प्रचार प्रसार के उद्देश्य स जनकपुर में जनकपुर साहित्य आ अंतर्राष्ट्रीय नाट्य महोत्सव २०८० के शुरुआत भेल अछि । मैथिली विकास कोष आ मधेश राज्य सरकारक उद्योग आ पर्यटन मन्त्रालय द्वारा आयोजित ई पाँच दिवसीय महोत्सव जनकपुरक महेन्द्र नारायण निधि मिथिला सांस्कृतिक केन्द्रमे गुरुवारसँ शुरू भेल अछि । महोत्सव के उद्घाटन पूर्व प्रधानमंत्री आ नेकपा (एकीकृत समाजवादी) के केन्द्रीय अध्यक्ष माधव कुमार नेपाल केने छलाह । कोष के सदस्य सचिव श्यामसुन्दर शशि जनकपुर गाथा सहित राजनीतिक, सामाजिक, साहित्यिक आ आर्थिक विषय पर सम्पूर्ण महोत्सव काल मे लगभग २१ गोट चर्चा सत्र मे चर्चा होयत से जानकारी देलनि । महोत्सव मे नेपाल आ भारतक विभिन्न कला आ सांस्कृतिक समूह सँ संबंधित कलाकार द्वारा विभिन्न शीर्षक पर नाटक प्रस्तुत करबाक कार्यक्रम होइत अछि | कहल जाइत अछि जे एहि महोत्सव मे मैथिली, नेपाली, हिन्दी, असमिया आ बंगला भाषा मे पाँचटा बहुभाषी नाटकक प्रदर्शन होयत । एहि महोत्सव मे सहभागिता लेबाक लेल विभिन्न क्षेत्रक कलाकार, विद्वान आ विशेषज्ञ लोकनि जनकपुर पहुँचल छथि । एहि महोत्सव मे नेपाल आ भारत सँ करीब एक लाख दर्शक भाग लेताह से कोषक अनुमान अछि ।