कोशी ब्यारेज के सबटा गेट खोलल गेल, खतराके घंटी बजि रहल, आनजानमे रोक लगाओल गेल (भिडियोसहित)

153

सप्तकोशी नदी मे पानिक प्रवाह बढ़लाक बाद कोशी ब्यारेजक सबटा (५६) गेट खोलल गेल अछि।

सुनसरी के मुख्य जिला अधिकारी हमकला पांडेय सप्तकोशी नदी में जल प्रवाह बढ़ला के बाद सबटा गेट खोलल गेल जानकारी देलनि। हुनकर अनुसार नदी मे पानिक प्रवाह भोर ४ बजे ४६२ हजार क्यूसेक तक पहुंचल छल। आब पानिक प्रवाह धीरे धीरे कम होबय लागल अछि।

मुख्य जिला अधिकारी पाण्डेय सुबह ७ बजे के माप के अनुसार ४४०००० क्यूसेक तक गिरल जानकारी देलनि। सप्तकोशी मे जखन पानि डेढ़ लाख क्यूसेक स बेसी भ जाइत अछि त एकरा खतरा क संकेत मानल जाइत अछि।

ओ कहला जे आब बेसी जोखिम नहि अछि, हम सब भोर स ऑन साइट अवलोकन मे लागल छी। हम संभावित जोखिम कए कम करबा लेल हाई अलर्ट पर रहबा लेल कहलहुं अछि।ु आब कोशी बैराज मे यातायात बंद अछि। आसपास के इलाका मे सावधानी बरतय के आग्रह कएल गेल अछि।

सबटा गेल खोलल गेलासँ भारतके विहारसहित विभिन्न जिल्लासभमे डुबानके जोखिम बढ्ल अछि ।