खाना बनाबय वाला ग्यास, पेट्रोल, डीजल आओर मट्टीतेल के दाम बढ़ि गेल अछि। नेपाल आयल निगमके अनुसार बितल राति १२:०० बजेसँ बढल दाम लागू भेल अछि ।
भारतीय तेल निगम स भेटल नव खरीद मूल्य क अनुसार निगम पेट्रोल मे ४ टका प्रति लीटर आ डीजल/मिट्टी तेल मे ३ टका प्रति लीटर क बढ़ोतरी केलक अछि।
तहिना खाना बनाबय वाला ग्यास के दाम मे २३५ रुपया के बढ़ोतरी भेल अछि। नव दाम क अनुसार गैस प्रति सिलेंडर १,८९५ टका तक पहुंच गेल अछि। एहि स पहिने गैस क दाम १६६० छल।
निगम क कहब अछि जे स्वचालित मूल्य प्रणाली क अनुसार दाम बढ़ल अछि।