आचार्य श्रीनिवास भड़काऊ बयान नै दै के शर्त प॑ रिहा करलऽ गेलै

22

भड़काऊ बयान देला के बाद गिरफ्तार भेल हिन्दू धार्मिक नेता आचार्य श्रीनिवास के गलती स्वीकार केलाक बाद रिहा क देल गेल अछि। मुख्य जिल्ला अधिकारी चक्रपाणी पाण्डेय जनशान्ति विरुद्ध अपराध मे ५०० रुपैया जुर्माना भरला के बाद जिल्ला प्रशासन कार्यालय रिहा केने जानकारी देलनि । हुनकर अनुसार श्रीनिवास ५००रुपया के जुर्माना के बाद रिहा भ गेल छल ।

12 अक्टूबर कए जनकपुरधाम मे आयोजित कार्यक्रम मे श्रीनिवास एकटा भड़काऊ बयान देलथि। हुनकऽ अभिव्यक्ति के सार्वजनिक रूप स॑ विरोध करलऽ गेलै कि एकरऽ समाज प॑ नकारात्मक प्रभाव पड़तै आरू हिंसा भड़की सकै छै । मंगलदिन सुनसरीके बरहक्षेत्र नगरपालिका चक्रघट्टीसँ जिल्ला प्रहरी कार्यालय हुनका पक्राउ केने छल । बुधदिन जिल्ला प्रशासन कार्यालयमे जनशान्ति विरुद्ध अपराधके आरोप लगौलाबाद हुनका जनकपुरधाम आनल गेल छल ।