नेपालगंज उपमहानगरपालिकामे अनिश्चितकालीन निषेधाज्ञा
नेपालगंज उपमहानगरपालिकामे अनिश्चितकालीन निषेधाज्ञा आदेश जारी कएल गेल अछि । जिल्ला प्रशासन कार्यालय बाँके सामाजिक आ धार्मिक सहिष्णुता बाधित भेलाक बाद दुपहर १ बजे सँ अनिश्चितकालीन कर्फ्यू आदेश जारी केलक अछि । नेपालगंजमे विगत किछु दिनसँ धार्मिक तनाव बढल अछि । दुनू समुदाय के बीच तनाव बढ़ला के बाद कर्फ्यू के आदेश जारी कायल गेल अछि। आइ भोरे शांति आ सौहार्द के आह्वान करैत सद्भाव रैली के आयोजन कायल गेल। मोहम्मद दिवस के दिन रविदिन नेपालगंज मे मुस्लिम समुदाय टायर जरा क नारा लगा देलक जे सोशल मीडिया पर इस्लाम के निशाना बना क एक व्यक्ति अभिव्यक्ति देलक। ओकर प्रतिक्रिया मे आइ हिन्दू धर्म मे विश्वास करय वाला लोक विरोध क रहल छथिन्ह.